चंद्रकूपक निर्मल गंगाजल लेवाक लेल उमरल श्रद्धालूक भीड़

    0
    394

    मधुबनी,मिथिला मिरर-मुरारी झाः देवाधिदेव महादेव महाकवि बाबा विद्यापतिकें अंतिम दर्शन भवानीपुरक तत्कालीन नंदन वन आ एखुनका उगना महादेवक स्थानमे देने रहैथ इ बात त प्रायः बच्चा-बच्चाकें बुझल छन्हि मुदा जाहिठाम पियास सं छटपटाइत विद्यापतिकें अपन जटा सं गंगाजल निकाली क भोला बाबा पियौने रहथि ओ ओहिठाम एकटा चंद्रकूप बनल।
    चंद्रकूपक जल गंगाजल अछि आ इ प्रमाणित अछि। विश्वक कतेको वैज्ञानिक अहि चंद्रकूपक जल पर शोध कय चुकला अछि आ एकरा बाद ओ लोकनि अहि बात पर अपन मोहर लगा देलनि कि चंद्रकूपक जल गंगाजल थिक आ अहि जलकें कतेको साल अगर घरमे राखब त इ खराब नहि होएत बाबा उगनाक दरबारमे आवैय वला श्रद्धालु आ भक्त लोकनि बाबाक अहि चंद्रकूप सं गंगाजल लए हुनका पर अर्पण करैत छथि।
    साओनक तेसर सोमवारीमे बाबाक दरबारमे अपरा भीड़ जुटल अछि आ खास कए चंद्रकूप सं जल लेवाक लेल हजारोक संख्यामे भक्त भीड़ उमरि पड़ल अछि। कतेको कार्यकर्ता लगातार भक्त लोकनि कें गंगाजल भरि-भरि कऽ हुनका लोकनि कें दय रहला अछि। भवानीपुर सं मिथिला मिरर कें संवाददाता मुरारी झा कहलनि जे आजुक जे भीड़ अछि ओकरा देखैत इ कहल जा सकैत अछि जे बाबाक दरबारमे सहज रूपसं पहुंचल नहि भए सकैत अछि।