एलएनएमयू’क शैक्षणिक सत्र’क घोषणाकें मांग केलनि कीर्ति आजाद

    0
    285

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद मंगलदिन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें नव निर्वाचित कुलपतिक स्वागत केलाक बाद कहलनि जे, विश्वविद्यालयकें शैक्षणिक व्यवस्था बहुत खराब स्थितिमे अछि, जाहि सं छात्र एवं अभिभावक दुनू मर्माहत छथि। कीर्ति आजाद कुलपति सं शैक्षणिक सत्रक घोषणाक संग-संग उचित कार्यवाई करबाक मांग केलनि।

    ओ कहलनि जे, विश्वविद्यालय प्रशासनक अक्षमताक कारण छात्रक कैरियर घोटाला, एडमिट कार्ड घोटाला, पंजीयन पत्र घोटाला सहित घोटाला सामने आएल आएल अछि। ओ कहलनि जे, मिथिलामे छात्र आ अभिभावक गरीब आ प्रान्तप्रिय मानसिकताक लोक छथि।  विश्वविद्यालय एकटा व्यापक क्षेत्रक छात्रक कैरियर सं जुडल अछि। कहलनि जे, यदि सब किछु नीक सं संचालित होइत त जनप्रतिनिधिकें शिक्षा प्रणालीमे हस्तक्षेप नहि करए पड़ैत।