नीतीशक नव कानूनक बाद थानाध्यक्ष लगौलनि थानेदारी करबा स मुक्ति के गुहार

    0
    259

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे नव उत्पाद नीति के अवगुण सरकारी महकमा मे आब देखल जा रहल अछि। दस टा थानेदार पर भेल कार्रवाई आ निलंबनक बाद आब बहुतो जिला मे थानाध्यक्ष थानेदारी करय स हाथ ठाढ़ कय देलक।

    थानाध्यक्ष अप्पन-अप्पन एसपी के चिठ्ठी लिख क थानेदारी स मुक्त करबाक अनुरोध केलनि। दरअसल बिहार पुलिस एसोसिएशनक पहल पर थानाध्यक्ष सब अहि तरहक कदम उठेलक अछि। भोजपुर, रोहतास, पूर्णिया समेत बहुतो जिलाक थानेदार एसपी के चिठ्ठी लिख अप्पन इच्छा जाहिर केलनि।

    थानाध्यक्षक अहि कदम स पुलिस महकमा के आलाधिकारी मे असमंजस के स्थिति बनि गेल अछि। यदि एसोसिएशन अहि मामला मे अप्पन तेवर कड़ा केलक त आबई बला दिन मे सरकार लेल समस्या उत्पन्न भय सकैत अछि।