समस्तीपुरमे एसएफआइ जरेलक मुख्यमंत्रीक पुतला

    0
    371

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: वित्तरहित एवं नियोजित शिक्षकक आंदोलनकें समर्थनमे एसएफआइ जिला समिति शनिदिन समाहरणालयके समक्ष मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक पुतला दहन केलक। अहिकेँ पूर्व कार्यकर्ता शहरमे प्रतिरोध मार्च निकाललक, जे बीआरबी महाविद्यालय सं निकलिकय शहरक मुख्यमार्ग सं होइत समाहरणालयके समक्ष समाप्त भेल।

    समाहरणालय पर संगठनके जिलामंत्री संजय कुमारक अध्यक्षतामे एकटा सभा आयोजित कएल गेल। जाहिमे जिलामंत्री बिहार सरकारक नीतिकें छात्र विरोधी बतौलक। ओ कहलनि जे, प्रदेश सरकार आंदोलनरत शिक्षक सं वार्ता करबाक बजाय दंडात्मक कारवाई कय रहल अछि।

    सभाक अंतमे एसएफआइ कार्यकर्ता मुख्यमंत्रीक पुतला फूंकलक। मौका पर जिला समिति सदस्य अवनीश कुमार, पूर्व नेता सत्यनारायण सिंह, रंजीत कुमार, रघुनाथ राय, पंकज कुमार, राजीव कुमार, चंदन कुमार, अमर कुमार, अमरेश कुमार, नवीन कुमार, रौशन कुमार, प्रवीण कुमार, श्याम कुमार, अमित कुमार, सुंदर कुमार आदि मौजूद छलाह।