मानकक पालन नहि करबाक कारने धराशायी भेल विद्युत पावर ग्रिडक नवनिर्मित देबाल

    0
    619

    मधुबनी, मिथिला: शनिदिन दुपहर अचानक आएल अन्हर बिहारिमे भीठ भगवानपुर स्थित विद्युत पावर ग्रिडक नवनिर्मित देबाल लगभग 200 फीट धराशायी भए गेल। नवनिर्मित देबाल धराशायी भेला सं स्थानीय ग्रामीण संवेदक पर घटिया निर्माण करबाक आरोप लगा रहल अछि। अहि बाबत ग्रामीण बीडीओ, एसडीओ आ डीएम सहित अन्य वरीय अधिकारीकें शिकायती आवेदन देलनि अछि।

    दर्जनो लोक द्वारा हस्ताक्षरित शिकायती आवेदनमे घटिया सीमेंट, दू नंबरक ईंटा एवं लोकल बालू लगेबाक आरोप लगाओल गेल अछि। लोकक ईहो आरोप अछि जे खुजल आसमानक नीचाँ करोड़ो रुपैयाक मशीन राखल गेल अछि। जे वर्षा, धूप आ धूल सं बर्बाद भए रहल अछि।

    गौरतलब अछि जे, मधेपुर प्रखंडक भीठ भगवानपुरमे निर्माणाधीन पावर ग्रिड सं मधुबनी एवं दरभंगा जिलाक आठ प्रखंडमे निर्वाध विद्युत आपूर्ति करबाक योजना अछि। अहि बाबत बीडीओ मिथिलेश प्रसाद कहलनि जे, ग्रामीण द्वारा प्राप्त शिकायत आवेदनकें आलोकमे शीघ्र जांच कय अग्रेतर कार्रवाई हेतु वरीय अधिकारीकें जांचक प्रतिवेदन पठाओल जाएत।