मिथिला स्टूडेंट यूनियनकें नेतृत्वमे विभिन्न संगठनक प्रदर्शन

    0
    512

    दिल्ली, मिथिला मिरर: केंद्रीय संस्कृति मंत्री महेश शर्माकें सीता माताक अस्तित्व संबंधित कथित बयानक विरोधमे रविदिन ‘मिथिला स्टूडेंट यूनियनकें’ अगुवाईमे विभिन्न मैथिल संगठन द्वारा दिल्लीक लोककल्याण मार्ग पर विरोध-प्रदर्शन कए मंत्रीकें आवासक घेराव कएल गेल। अहि दौरान पुलिसक संग सैकड़ो कार्यकर्ताक हाथापाईकें बाद यूनियनकें सेनानी सबकेँ गिरफ्तार कए संसद भवन पुलिस थाना लाओल गेल। हालांकि बादमे ज्ञापन देलाक बाद सबकेँ छोड़ि देल गेल।

    अहि दौरान विभिन्न संगठन द्वारा मंत्री महेश शर्माकें मांफी मंगबाक मांग कएल गेल। अहिकेँ बाद दिल्लीक जंतर-मंतर पर विभिन्न संस्थाक प्रतिनिधि द्वारा केंद्रीय संस्कृति मंत्री महेश शर्माक पुतला जरा कए विरोध प्रदर्शन कएल गेल।

    उक्त आंदोलनमे मुख्यरुपे अनूप मैथिल, विद्याभूषण, रौशन मैथिल, अमलेश मंडल, ललन शर्मा, नितीश, शुभम, भास्कर, पंकज-प्रसून, मुकेश, विक्की, रोहीत यादव, संतोष शर्मा, बिरबल यादव, रंजीतलाल दास, विनोद यादव, सहीत सैकड़ो लोक उपस्थित छलाह।