समस्तीपुर सदर अस्पतालकें आइसीयू भवन बनल मालखाना

    0
    281

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: सदर अस्पतालमे वर्ष 2007मे 34 लाखक लागत सं बनाओल गेल आइसीयू भवन 10 वर्ष बादो चालू नहि भेल अछि। एतेक दिन बाद जिलामे आइसीयू भवन बनबा पर जिलावासीमे ई आस जागल छल जे, अब आपात अवस्थामे मरीजकें पटना या दरभंगाक चक्कर नहि काटए पडत, मुदा 10 वर्ष बीतलाक बादो जिलाक लोकक ई उम्मीद विभागीय लापरवाहीक कारण पूरा नहि भेल अछि। हालत ई अछि जे, भवन आए मालखाना बनि कए रहि गेल अछि।

    अहि विषयमे अधिकारी चुप्प अछि। ओना अस्पताल कर्मीक कहब अछि जे, भवन बनलाक बाद सरकार द्वारा उपकरण मुहैया नहि कराओल गेल। संगहि आइसीयू विशेषज्ञ चिकित्सक सेहो जिलामे उपलब्ध नहि अछि। आइसीयू भवन बनलाक बाद बहुतो जिलाधिकारी आबि कए भवनक निरीक्षण केलनि, मुदा कोनो ठोस पहल नहि भेल।