दुर्घटनाग्रस्त हेबा सं बाल-बाल बचल वैशाली एक्सप्रेस

    0
    325

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बैरौनी सं दिल्ली जा रहल वैशाली एक्‍सप्रेस ट्रेन दुर्घटनाग्रस्त हेबा सं बाल-बाल बचि गेल। मुजफ्फरपुर स्‍टेशन सं ट्रेनकें खुजितहि चक्कामे घर्षणक कारण चिंगारी निकलए लागल।देखते-देखते धुंआ उठल आ लोक हतोत्साहित होबए लागल। समस्‍या गंभीर हेबाक कारण ट्रेनकें वापस मुजफ्फरपुर स्‍टेशन आनल गेल। अहि घटनामे ट्रेनक एस 2 बोगी क्षतिग्रस्‍त भए गेल।

    ट्रेनमे यात्रा कए रहल यात्रीकेँ अनुसार ट्रेन बरौनी जंक्‍शन सं आगू निकलल आ समस्‍तीपुर पहुंचल वला छल, तखने चक्काकेँ बीच सं आगि निकलल, मुदा ओहि समय ध्यान नहि देल गेल। मुजफ्फरपुरमे सेहो अहि समस्‍या पर ध्‍यान नहि देल गेल आ गाड़ी आगू बढ़ा देल गेल। मुख्य जनसम्पर्क अधिकारी अरविन्द कुमार रजककें अनुसार मुजफ्फरपुर सं निकललाकें बाद एस2 बोगीकें समीप धुंआ निकलए लागल। तकरा बाद आनन-फाननमे ट्रेनकें वापस स्टेशन लाओल गेल।

    रेल अधिकारी एस 2कें यात्रीकेँ लेल विकल्‍पक तलाश कए रहल छल। विकल्पक बाद ट्रेनक समुचित मरम्मत कए ट्रेनकें मुजफ्फरपुर स्‍टेशन सं रवाना कएल गेल।