सीतामढ़ीमे पुलिसक छापेमारीकें दौरान दस गोट जुआरी गिरफ्तार

    0
    250

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: शनिदिन राति रुन्नीसैदपुर व मानिक चौक बाजारमे जुआक अड्डा पर पुलिस छापेमारी कय 10 जुआरीकें गिरफ्तार केलक अछि। जुआक अड्डा सं पुलिस ताशक दू टा गड्डियां व 3750 रुपैया सेहो जब्त केलक अछि। गिरफ्तार आरोपीक विरुद्ध थानामे प्राथमिकी दर्ज कय सबकें न्यायिक हिरासतमे पठा देल गेल अछि। छापामारी अभियान गुप्त सूचनाक आधार पर थानाध्यक्ष शिव नारायण रामकें नेतृत्वमे चलाओल गेल छल।

    प्राथमिकीकें अनुसार रुन्नीसैदपुर बाजारमे कर्मचारी कॉलोनी परिसर व मानिक चौकमे वीरेंद्र साह’क दोकानक पाछु जुआक कारोबार चलि रहल छल। मानिक चौक अड्डा सं गिरफ्तार जुआरीमे लगमा गांमक निवासी लालचंद दास, मानिक चौक गामक निवासी किशोरी साह, वीरेंद्र साह, गंगा साह, बैद्यनाथ साह व वीरेंद्र राउत शामिल अछि।

    एतय सं कुल 2050 रुपैया समेत ताशक एकटा गड्डी जब्त कएल गेल अछि। रुन्नीसैदपुर कर्मचारी कॉलोनी सं रुन्नीसैदपुरके अर्जुन पासवान, नरेश राय, दिलीप कुमार तिवारी व विजय महतोकें गिरफ्तार कएल गेल अछि। एतय सं सेहो 1700 रुपैया तथा ताशक एकटा गड्डी जब्त कएल गेल अछि।