दरभंगा पुलिसक लाठीचार्जक विरोधमे एमएसयूक मौन प्रतिकार मार्च

    0
    275

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला स्टूडेंट यूनियनक कार्यकर्ता पर दरभंगामे दरभंगा पुलिस द्वारा कैल गेल बर्बर लाठीचार्जक विरोधमे मिथिला स्टूडेंट यूनियन दिल्लीमे रविदिन मौन प्रतिकार दिवस मना दरभंगा पुलिसक बर्बतापूर्ण कार्रवाई पर अपन विरोध दर्ज करत। कनॉट प्लेस दिल्ली स्थिति इंडियन कॉफी होम सं जंतर-मंतर स्थित जनता दल यूनाइटेडक मुख्य कार्यालय तक जाएत। रविदिन दुपहरियामे 02 बजे सं 04 बजे तक एमएसयूक समस्त कार्यकर्ता आ आम मैथिलजन जे अहि कार्यक्रम मे अपन सहभागिता देवय चाहैत छथि ओ सब शांतिमार्च करता आ दरभंगा पुलिसक कार्रवाई पर अपन प्रतिरोध दर्ज करौताह।
    अपनेकें बाद दी जे 4 मई कऽ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक कार्यक्रममे मिथिला मे बंद पड़ल चीनी मिलकें चालू करवेवाक लेल ज्ञापन देवाक लेल जा रहल एमएसयूक कार्यकर्ता पर लाठीचार्ज कैल गेल आ अेहिकें बाद संस्थाक 4 गोट कार्यकर्ता कें गिरफ्तार कऽ बहुतोरास अनर्गल धारा लगा देल गेल जाहिकें प्रतिरोधमे मिथिला स्टूडेंट यूनियनक सदस्य लोकनि दरभंगा समाहरणालय सामने आमरण अनशन पर बैस गेल छलाह। तीन दिन बाद प्रशासनक हस्तक्षेप आ अनर्गल धारा हटेवाक बात पर संस्थाक सदस्य लोकनि अनशनकें तोड़वाक बात पर सहमति जतौलाह।