मिथिला गृह उद्योगक माध्यम सं देश भरिमे कतहू जनेउ मंगवा सकैत छी

    0
    683

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिलाक गाम-घरक स्वाद आ संस्कृतिकें वैश्विक स्तर पर पहुंचेवाक कार्य कऽ रहल मिथिला गृह उद्योग आब देश-विदेशमे रहनिहार समस्त जनेउ पहिरनिहार व्यक्ति लोकनिक लेल मिथिलाक माटि-पाइनमे बनल उत्कृष्ट नजेउ लऽ सेहो आयल अछि। एखन धरि मिथिला गृह उद्योग मिथिलाक अदौड़ी, कुम्हरौड़ी, तिसीयौड़ी, चरौड़ी, टिकिया, पिरिकिया, नानान तरहक अचार इत्यादि सहित बहुत रास मिथिला-मैथिलीमे बनल चीज अपने लोकनिक घर तक पहुंचावैत रहल अछि।
    मिथिला मिरर सं बातचीत करैत मिथिला गृह उद्योगक संस्थापक अमरनाथ मिश्र कहला जे चूंकि लग एहन बहुत रास फोन आवैत छल जाहिमे हुनका लोकनिक मांग छलनि जे जनेउ उपलब्ध कराओल जाए। अहि बातकें ध्यानमे रखैत हम मिथिलाक गाम-घरक बनल उत्कृष्ट किस्मक जनेउ लय अपने लोकनिक लेल ऐलहूं। जनेउ विभिन्न रंगमे उपलब्ध अछि जाहिमे लाल, पीयर, उज्जर इत्यादि रंग शामिल अछि।
    अमननाथ मिश्रक कहब छन्हि जे हमरा ओहिठाम जे कोनो प्रोडक्ट अछि ओ शत-प्रतिशत मिथिलामे प्राकृतिक हस्तनिर्मित व्यंजन अछि जाहिमे कोना तरहक केमिकलक उपयोग नहि कैल जा रहल छैक। अमरनाथ मिश्रक मानी त मिथिला गृह उद्योगमे मिथिलालोक फाउंडेशन द्वारा बनाओल गेल नव स्वरूपक पाग सेहो हुनका लग उपलब्ध अछि जेकर बाजारमे बहुत मांग भ रहल अछि।
    अमरनाथ मिश्र आ मिथिला गृह उद्योग सं अपने सब अपन जरूरत अनुसर मिथिलाक निर्मित नानान तरहक व्यंजनकें ऑर्डर द सकैत छी। इ ऑर्डर अपने सब फोन आ ई-मेलक माध्यम सं क सकैत छी। मिथिला गृह उद्योगक मोबाइल नंबर +91-98100-57961, 96509-70766 आ ई-मेल grihudyogmithila@gmail.com आईडी अहि प्रकारेण अछि। एकरा बाद अपने सब संस्थाक वेबसाइट पर सेहो जा क संस्थाक प्रोडक्ट देख सकैत छ। वेबसाइटः mithilagrihudyog.com