दरभंगा बंद सं लोक परेशान

    0
    274

    दरभंगा, मिथिला मिरर: पुलिस फायरिंगक विरोधमे दरभंगा बंदकें व्यापक असर देखल गेल। भोर सं विश्व हिंदू परिषद आ भाजपाक कार्यकर्ता रेल यातायात आ सड़क मार्ग जाम कए सरकारक खिलाफ नारेबाजी केलक। अहिमे भाजपाक बहुतो विधायक सेहो शामिल छल। पुलिसिया करवाईके खिलाफ विश्व हिंदू परिषद शनिदिन दरभंगा बंदक आह्वान केने छल।

    भोरे सं विश्व हिंदू परिषद आ बीजेपी कार्यकर्ता शहरक विभिन चौक-चौराहाकें संग-संग दरभंगा रेलवे स्टेशन पर दरभंगा सं दिल्ली जाए वला ट्रेन बिहार संपर्क क्रांति सुपरफास्ट सहित बहुतो पैसेंजर ट्रेनक चक्का जाम कए नीतीश सरकारक विरोधमे नारेबाजी केलक।

    बंदके दौरान आम लोकक संग स्कूली बच्चा सेहो परेशानीकें सामना करए पड़ल। ओतहि, आंदोलन कए रहल भाजपाक नगर विधायक संजय सरावगी कहलनि जे, बिहारमे तुष्टीकरणक राजनीति भए रहल अछि आ सरकारक इशारा पर जिला प्रशासन काज कए रहल अछि। ओतहि राज्य सरकार मृतक परिवारके एकटा सदस्यकें सरकारी नौकरी तथा 25 लाख रुपैया मुआवजा दए।