मूल्यांकन केंद्रक सुरक्षाक लेल भरि दिन चलल गश्तीक दौर

    0
    264

    मधुबनी, मिथिला मिरर: नगर थाना क्षेत्रमे पुलिसक दू गोट अलग-अलग गश्ती दल शुक्रदिन सक्रिय रहल। शुक्रदिन नगर थाना गश्ती दलक प्राथमिकता मूल्यांकन केंद्र पर विधि एवं शांति-व्यवस्था बनेबाक लेल तथा बैंक शाखाक सुरक्षा रहल। एकटा गश्ती दलक नेतृत्व पुलिस इंस्पेक्टर सह नगर थानाध्यक्ष अरूण कुमार राय स्वं कय रहल छल।

    ओतहि दोसर गश्ती दलक नेतृत्व नगर थानाक पुलिस अवर निरीक्षण रामानंद सिंह कय रहल छल। हालांकि मूल्यांकन केन्द्र पर विधि-व्यवस्था आ शांतिक माहौल कायम रखबाक लेल अपर समाहर्ता दुर्गानंद झा एवं प्रभारी जिला शिक्षा पदाधिकारी सेहो विभिन्न मूल्यांकन केंद्रक दौरा कय स्थितिक जायजा लेलनि।

    उल्लेखनीय अछि जे, जे परीक्षक मूल्यांकन काजक बहिष्कार केलक अछि, ओ मूल्यांकन काजमे बाधा नहि दए सकय। अहिक लेल दिन भरि पुलिस विभिन्न मूल्यांकन केंद्रक गश्त लगबैत रहल। मूल्यांकन केंद्रमे जमा दू वाट्सन उच्च विद्यालय, जेएन कॉलेज, आरके कॉलेज, जमा दू सूड़ी उच्च विद्यालय, इस्लामियां मदरसा भौआड़ा आदि शामिल अछि।