मधुबनीक नाहर मे कायल गेल पं चतुरानन मिश्रक प्रतिमाक अनावरण

    0
    298

    मधुबनी, मिथिला मिरर: पूर्व केंद्रीय मंत्री आ स्वतंत्रता संग्राम मे बढ़ि चढ़ि कय भाग लेनिहार वामपंथी नेता पं चतुरानन मिश्रक मूर्तिक अनावरण आइ हुनक पैतृक गाम मधुबनी जिलाक नाहर गाम स्थित उच्च विद्यालय प्रांगण मे बिहार सरकार के राजस्व एवं भूमि सुधार मंत्री डा मदन मोहन झा द्वारा कायल गेल।

    मैथिली आन्दोलनी व साहित्यकार आ आकाशवाणी दरभंगाक लोकप्रिय उद्घोषक मणिकांत झाक अध्यक्षता मे आयोजित एहि अनावरण समारोह के संबोधित करैत मंत्री डा मदनमोहन झा कहलनि जे चतुरा बाबूक आदर्श पर चलब हुनका प्रति सबसँ नीक श्रद्धांजलि होयत। समारोह के संबोधित करैत भाजपा के प्रदेश प्रवक्ता सह विधान पार्षद विनोद नारायण झा कहलनि जे चतुरा बाबू गरीबक मसीहा छलाह। ओ कहलनि जे चतुरा बाबू दलगत भावना सँ उठि कय विकासक कार्य करैत छलाह।

    अपना उद्बोधन मे विधायक समीर महासेठ कहलनि जे चतुरा नंद मिश्र ट्रेड यूनियन के नेताक रूप मे अपन पहचान बना देश के सेवा कयलनि। अपना उद्बोधन मे विधायक लक्ष्मेश्वर राय चतुरानंद मिश्र द्वारा समाज मे कयल गेल काज सबहक विस्तार सँ चर्चा कयलनि। कार्यक्रम के विधान पार्षद सुमन महासेठ, पूर्व विधायक सत्यनारायण सिंह तथा राम नरेश पांडेय, डा चंद्रमोहन झा, रामशृंगार पाण्डेय, डा इन्द्रमोहन झा, शुभनाथ ठाकुर, जटाधर झा, नूनू ठाकुर सहित अनेक वक्ता संबोधित कयलनि। कार्यक्रमक संचालन संयोजक संतोष कुमार मिश्र चुन्नू कय रहल छलाह।