मामूली विवाद पर सत्तर वर्षक बुजुर्ग के पियौलक तेजाब

    0
    304

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: पूर्णियां मे बदमास एकटा सत्तर वर्षक बुजुर्ग के घर मे घुसि कय आँखि आ मुंह मे तेजाब ढारि देलक। घटना जिलाक टीकापट्टी थाना के गोड़ियर गामक अछि। घटना के बाद पीड़ित बुजुर्ग लखन महतो के गंभीर हालत मे सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। पीड़ित के परिजनक आरोप अछि जे, पड़ोसक एकटा वकील महतो स दू दिन पहिने मामूली विवाद भेल छल। जाहि के बाद घटना के अंजाम देल गेल।

    सूत्रक अनुसार बुजुर्ग घरक दरबज्जा पर सुतल छल कि अचानक देर राति मे वकील महतो समेत चारि टा लोक घर मे घुसि कय लखन महतो के मुंह आ आँखि मे तेजाब ढारि देलक। हल्ला केला पर जहन लोक जमा भइल त वकील महतो के घर स भागैत देखल गेल।

    टीकापट्टी थानाध्यक्ष नन्द किशोर नन्द कहलनि जे, वकील महतो के गिरफ्तार कय लेल गेल अछि।जहन कि अहि मामला मे चारि गोटे पर प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि।