बिहार मे नीतीश कुमार’क शराबबंदीक संग सीएसडी

    0
    271

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे लागू शराबबंदी कानून पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के बड़ पैघ सफलता हाथ लगलनि अछि। बताओल जा रहल अछि जे, भारतीय सेनाक अधिकारी शराबबंदी कानूनक सम्मान करबाक लेल जवान के निर्देश देलक अछि जे, बिहार मे शराब लय क प्रवेश नहि करथि।

    सूत्रक अनुसार निर्देश मे कहल गेल अछि जे, सैनिक बिहार जाय काल शराबक बोतल संग नहि लय जाय।शराब संग लय गेला पर जेल जाय पड़ि सकैत अछि। कैंटीन सर्विस डायरेक्टरेट (सीएसडी) के क्वार्टर मास्टर जनरल दिस सं भेजल गेल पत्र मे सेनाक सब कमांड के हेडक्वार्टर, अंडमान आ निकोबार कमांड, आर्डिनेंस फैक्ट्री बोर्ड, डायरेक्टरेट जनरल असाम रायफल, नेवी हेडक्वार्टर, एयर हेडक्वार्टर आ कोस्ट गार्ड हेडक्वार्टर के अहि संबंध मे जानकारी देल गेल अछि।