तमाकू खेबाक लेल टाका नहि देला पर पिताक हत्या

    0
    272

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनी जिलाक राजनगर प्रखंड के जयपट्टी गाम मे एकटा व्यक्ति अप्पन पिता के पीट-पीट कय अहि दुआरे मारि देलक, कियैक कि पिता तमाकू खेबाक लेल युवक के दस रुपैया देबा सं मना कय देलक।

    पुलिस के अनुसार बुधदिन राति धर्मेन्द्र यादव जहन मवेशी चरा कय घर आयल त पिता किशोरी यादव स तमाकू खेबाक लेल दस टा रुपैया मंगलक। मुदा पिता रुपैया देबा सं मना कय देलक। जकरा बाद दूनू मे कहा-सुनी होबय लागल। अहि दौरान लकड़ी के जलावन उठा कय धर्मेन्द्र अप्पन पिता के मारय लागल। जाहि के बाद किशोरी यादव गंभीर रूप स घायल भय क खसि पड़ल।

    शोरगुल सुनलाक बाद ग्रामीण किशोरी यादव के निजी अस्पताल लय गेल मुदा अस्पताल मे किशोरी यादव के डॉक्टर मृत घोषित कय देलक। ग्रामीण अहि बातक सूचना पुलिस के देलक जकरा बाद पुलिस धर्मेन्द्र के खोजय लागल, आ राति मे राजनगर रेलवे स्टेशन पर भागय के फ़िराक मे धर्मेन्द्र के गिरफ्तार कय हत्याक मामला दर्ज कायल गेल।