बाबा गरीबनाथ मंदिरमे भगदड़, 15 घायल

0
623

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : साओनक तेसर सोमवारीक दिन  प्रशासनक सभ व्यवस्था पड़ले  रहि गेल जखन रवि आ सोमदिनक रातिक एक बजेक बादसँ कांवरियाक भीड़ उमड़य लागल। पौने दू बजे आमगोला ओवरब्रिज पर बनल अस्थायी डिवाइडर पूर्ण रूपेँ टूटि गेल। भगदड़ मचलासँ करीब दू दर्जनसँ बेसी कांवरिया घायल आ बेहोश भ’ गेलाह।  घायल सभकें अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि जतय हुनकर सभक इलाज चलि रहल अछि। देर राति एक बजेक बादसँ कांवरिया पथ पर भीड़ बढ़लासँ पुल पर दबाव बढ़य लागल, कमरथुवा सभकेँ रोकबाक लेल अनेको जगह बैरियर लगाओल गेल छल मुदा भीड़ नै सम्हरल। ओरियंट क्लबमे बनाओल गेल जिग जैग पर दबाव बढ़लासँ कांवरिया सभ कूदि-कूदि निकलय लगलाह। देखिते-देखिते रातिक पौने दू बजे तक आमगोला ओवरब्रिज कांवरिया सँ भरि गेल। भीड़कें आगाँ बढैत देखि पुलिसक जवान पाछाँ हटि गेल। हरिसभा चौक पर कोनो तरहें सेवादलक सहयोगसँ कांवरिया सभकेँ रोकय चाहलक मुदा सफल नहि भ’ सकल। कुनो तरहेँ भीड़केँ वशमे करवाक लेल सेवादल बाँसक ढाठ लगौलक संगहि  पुलिसबल  पानिक बौछार सेहो केलक। हालाँकि सेवादलक बेर-बेर अनुरोधक बादो पुलिस अपन हेकरी देखौलक  जकर परिणाम बादमे महग पड़ल । एहनमे सवाल इ उठैत अछि जे पछिला दू सोमवारीक  भीड़क हिसाबसँ प्रशासन अपन व्यवस्था दुरुस्त किएक नै  कएने छल।