मुजफ्फरपुर मे मोबाइल शो रूम सं सात लाखक चोरी

    0
    288

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मिठनपुरा थाना क्षेत्रक क्लब रोड मे मंगलदिन राति चोर सब मोबाइल शो रूमक शटर काटि सात लाख स अधिक के संपत्ति चोरी कय लेलक। चोर आठ हजार जगद, स्मार्ट फोन, मॉनीटर, लैपटॉप आ मेमोरी कार्ड समेत अन्य सामानक चोरी केलक। बृहस्पति दिन भोर मे घटनाक सूचना भेटला पर मिठनपुरा थानाक पुलिस छानबीन शुरू कय देलक अछि। थानाध्यक्ष विजय प्रसाद राय ने के अनुसार चोरक गिरफ्तारी के छापेमारी कायल जा रहल अछि।

    संचालक पीयूष गर्ग के अनुसार देर राति दोकान बंद कय घर गेलाक बाद घटना घटल अछि। भोर मे मकान मालिक फोन कय चोरीक सूचना देलक। संचालक के अनुसार एक-दू टा फोन छोड़ि कय पूरा दोकान खाली अछि। चोर सीसीटीवी कैमराक सेट टॉप बाक्स सेहो उखाड़ि कय लय गेल।

    संचालक के अनुसार दोकान मे तीन साल मे दोसर बेर चोरी भेल अछि। अहि के पूर्व 2014 मे चोरी भेल छल। पुलिसक कहब अछि जे, एकहि दोकान मे दू बेर चोरी बहुतो सवाल करैत अछि।है।