मुखियाक हत्या के आरोप मे समस्तीपुर सं भाजपा नेता गिरफ्तार

    0
    271

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर के बंगरा थाना क्षेत्र सं पुलिस मुखियाक हत्या के साजिश रचबा के आरोप मे बुधदिन पूर्व मुखिया आ भारतीय जनता पार्टी के नेता सुरेश साह के गिरफ्तार केलक अछि।

    जानकारी के अनुसार बताओल जा रहल अछि जे, जिला के दलसिंह सराय थाना क्षेत्र मे दू महिना पूर्व स्वर्ण व्यवसायी रमेश प्रसादक हत्या के मामला मे गिरफ्तार अपराधी पूछताछ मे बतेने छल जे, सरसौना पंचायतक पूर्व मुखिया साह हत्याक लेल सुपारी दय वर्तमान मुखिया लक्ष्मी देवीक हत्या करबाक साजिश रचने छल।

    अहि सिलसिला मे अपराधी के बयान पर पूर्व मुखिया के खिलाफ बंगरा थाना मे पुलिस प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल।