महारानी कल्याणी महाविद्यालय के नव प्राचार्य बनाओल गेलाह डा. रमेश यादव

    0
    262

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: महारानी कल्याणी महाविद्यालय के नव प्राचार्य डा. रमेश यादव के नियुक्त कायल गेल अछि। अहि सं पूर्व डा. यादव आर.के कॉलेज मधुबनीक प्राचार्य छलाह, जतय स हुनकर तबादला तत्काल प्रभाव स एम.के कॉलेज लहेरियासराय कय देल गेल अछि।

    ओतहि, डीआरबी कालेज समस्तीपुर के प्राचार्य डा. शंभू कुमार यादव के तबादला कय आर.के कॉलेज मधुबनी के प्राचार्यक पद पर पदस्थापित कायल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे, कुलाधिपति तथा राज भवनक द्वारा जारी आदेश के आलोक मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय प्रशासन आर.के कॉलेज के प्राचार्य डा. रमेश यादवक तबादला आदेश लनामिविवि के रजिस्ट्रार अजीत कुमार सिंह’क हस्ताक्षर स जारी कय देलक अछि।