दोसर संग सुतई स मना करबा पर पत्नी के निर्वस्त्र कय घर स भगौलक शराबी, सरपंच देलनि संग

    0
    391

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिला के बंदरा प्रखंडक हत्था ओपी मे एकटा शराबी पति-पत्नीक पवित्र रिश्ता के झकझोड़ि कय राखि देलक। शराबी पति जीवन धरि सुख-दुःख मे संग दय बाली पत्नी के अप्पन संगी संग हमबिस्तर होयबाक लेल कहलक। मुदा पत्नी द्वारा मना कयला पर पत्नी के खूब मारलक आ घर स निकालि देलक। अनर्थ त तहन भय गेल जहन न्यायक देवता कहाय बला गामक सरपंच सेहो शराबी संग मिलि कय तुगलकी फरमान सुना महिला के बाल मुड़ा एवं निर्वस्त्र कय गाम स निकलि देलक।

    महिला गाम छोड़ि अप्पन दू टा बच्चाक संग रिश्तेदारक घर पर रहि रहल छथि। पीड़ित महिलाक कहब छन्हि जे, शराबी पति रुपैयाक कमा कय देबाक लेल कहैत अछि संगहि राईत मे दोस्तक संग हमबिस्तर होयबाक लेल मजबूर करैत अछि संगहि विरोध करबा पर मारिपीट करैत अछि।

    महिलाक कहब छन्हि जे सरपंच आ पूर्व मुखिया शराबी पतिक संग मिलि कय हमरा ऊपर गलत आरोप लगा कय परेशान करैत अछि। फिलहाल मामला के लय पीड़ित महिला थाना मे सरपंच सहित 28 लोक पर शिकायत दर्ज करौलनि। अहि मामला पर सरपंच एवं गामक लोक किछु बजबाक लेल तैयार नहि छथि।