दरभंगाक जुड़वा बच्चाक हकीकत जानि सब हैरान

    0
    284

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक नवादा गामक रहय बाली रुनम देवी अप्पन जुड़वा बच्चा लव आ कुशके लय क आय कैल्ह काफी परेशान रहय छथि। माक अहि चिन्ताक कारण जानि कय सब हैरान अछि। रुनम दैवीक कहब छन्हि जे, हुनकर दुनू बच्चा मे स यदि कियो बीमार पड़ैत अछि  त  दोसर सेहो बीमार भय जायत अछि। दुनू बच्चाक एखन धरि आठ बेर हाथ टूईट चुकल अछि।

    सबस पैघ बात जे, एकटा बच्चाक हाथ टूटला स दोसरो बच्चाक हाथ टूईट जाईत अछि। दुनू बच्चाक ईलाज कयनिहार आर्थो विशेषज्ञ डॉक्टर सी. एन. सर्राफा सेहो अहि बात के लय हैरान छथि। हुनकर कहब छन्हि जे, ई कियाक होइत अछि तक जबाब हमरो लग नहि अछि। ओ कहलनि जुड़वा बच्चा मे बहुत बात के लय क समानता भय सकैत अछि, अर्थो मे एहेन घटनाक लेल कोनो संभावना नहि छैक। ई एकटा शोधक विषय अछि।