प्रधानमंत्री सहित नीतीश कुमार देलनि छैठ पर्वक शुभकामना

    0
    266

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे छैठक महापर्व शुरू भय गेल अछि। चारि दिवसीय अनुष्ठान के दोसर दिन व्रती शनिदिन दिन उपवास रखलाक बाद साँझ मे खरना करताह आ प्रसादक रूप मे खीर-रोटी खेतीह।

    छैठक लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सहित बिहार के राज्यपाल रामनाथ कोविंद, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संग बहुतो गणमान्य व्यक्ति बिहार वासी के अप्पन शुभकामना देलनि अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ट्वीट कय समस्त देशवासी के छैठ महापर्वक शुभकामना देलनि। ओ अप्पन संदेश मे लिखलनि कि नहाय खायक संग छैठ-पूजाक शुरुआत भय गेल। अहि महापर्व पर देशवासी के हार्दिक शुभकामना देलनि।

    बिहारक राज्यपाल रामनाथ कोविंद, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ट्वीट कय नहाय खाय के संग शुरू भेल छैठ महापर्व पर समस्त बिहारवासी के शुभकामना देलनि।