चोरी आ डकैती’क आरोप मे चारि गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    275

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला पुलिस टाउन थाना इलाका सं मोटरसाइकिल चोर गिरोहक दू टा सदस्य के गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस अहि चोरक संग सं दू टा मोटरसाइकिल सेहो बरामद केलक अछि।

    ओतहि, 28 दिसंबर कय टाउन थानाक बड़ा बाजार स्थित स्वर्ण व्यवसायीक घर भीषण डकैती मामला मे मधुबनी थाना पुलिस दू टा डकैत के सहगो गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस एकटा के शेखपुरा जिला आ दोसर के मधुबनी सं गिरफ्तार केलक अछि।

    डीएसपी कुमार इन्द्र प्रकाश के अनुसार, गिरफ्तार अरोपी सं पूछताछ कायल जा रहल अछि आ बांकी चोरक गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कायल जा रहल अछि।