मधुबनी मे नव तरकारी बाजार के मंजूरी, नगर परिषद कार्यालय लग लागत बाजार

    0
    312

    मधुबनी, मिथिला मिरर: किछु दिन पहिने समाहरणालय चारि घंटा तक तरकारी उत्पादक किसानक प्रदर्शन शहर के एकटा नव तरकारी बाजारक सौगात देलक अछि। ग्रामीण क्षेत्रक तरकारी कृषक व विक्रेता के लेल नगर परिषद कार्यालय स्थित मुहैया कराओल गेल नव बाजार लाभकारी हेबाक संग-संग किछु लोकक जेबी भरबाक परंपरा पर सेहो विराम लगा देलक।

    अहि थोक तरकारी बाजार प्रशासन के संग शहर वासीक समक्ष बहुतो उम्मीद जगा देलक अछि। गिलेशन बाजार स्थित लागय वला अहि तरकारी बाजार मे भोर स दुपहर धरि सड़क जामक समस्या बनल रहैत अछि। अहि विक्रेताक लेल एतय ने त स्थल मुहैया कराओल गेल अछि आ ने शेडक व्यवस्था अछि।

    ग्रामीण क्षेत्रक तरकारी कृषक आर्थिक शोषण के लेल विवश छल। एतय के कुव्यवस्था आ प्रतिदिन शोषित हेबाक खिलाफ ग्रामीण क्षेत्रक तरकारी विक्रेता द्वारा हालही मे समाहरणालय के समक्ष तरकारी दोकान शुरू कय अप्पन मांग रखबाक नव तरीका ताकल गेल छल। अहि विरोधक सकारात्मक परिणाम सामने आयल आ प्रशासनिक स्तर पर नव बाजारक रूप मे नगर परिषद कार्यालय के समक्षक जमीन उपलब्ध करा देल गेल।