दरभंगामे उग्र भीड़ पर पुलिसक फायरिंग, एक गोटेक मौत

    0
    260

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा जिलाक बहेड़ी थानाकें हाविडीह गाममे पुलिस फायरिंगमे एक गोटेक मौत भए गेल, जहन कि तीन गोटे गंभीर रूप सं घायल अछि। फायरिंगमे गंभीर रुप सं घायल लोकक दरभंगा मेडिकल कॉलेज एंड हॉस्पिटलमे भर्ती कराओल गेल अछि। जतए 23 वर्षीय विजय रामक मौत भए गेल।

    दरअसल, पूरा मामला एकटा विवादित जमीन सं जुड़ल अछि, जतए एकटा पक्षक लोक लहास दफनेबाक लेल विवादित जमीन पर पहुंचल त दोसर पक्षक लोक एकर विरोध केलक। 24 घंटा बीतलाक बादो समस्याक समाधान नहि भेल त भारी संख्यामे मौका पर पुलिस आ प्रशासनक लोक पहुंच कए विवादित जमीन पर प्रशासन लहास दफनेबाक इजाजत दए देलक।

    अहि घटनाक बाद आक्रोशित लोक पुलिस पर पथराव शुरू कए देलक। देखिते-देखिते भीड़ उग्र भए वाहनमे तोड़-फोड़ करए लागल आ वज्र वाहनमे आगि लगा देलक। अहिकेँ बाद जवाबी कार्रवाईमे पुलिस गोली चला देलक। गंभीर हालतकें देखैत डीएम आ एसएसपी मौका पर पहुंचकए स्थिति नियंत्रण करए लगलाह।