शिक्षा मंत्री नियोजित शिक्षक पर भड़कलाह, कहलनि शिक्षक जेना रहू भाषण नहि दियौ

    0
    259

    पटना, मिथिला मिरर: अप्पन मांग के लय शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी स भेंट करबाक लेल पहुँचल नियोजित शिक्षक के बुधदिन समाधानक बदला मे फटकार भेटलनि। शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी नियोजित शिक्षक के एतय धरि कहि देलनि जे, टीचर के तरह रहु आ भाषण नहि दियौ। एकरा बादो जहन नियोजित शिक्षक अप्पन मांग के दोहराबय लगलाह त शिक्षा मंत्री डपैत देलनि आ कहलनि जे टीचर डीरेल भय गेल अछि।

    दरअसल शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी बुधदिन पटना कॉलेजिएट स्कूलक स्थापना दिवस मे पहुंचल छलाह।बाहर निकललाक बाद शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी के नियोजित शिक्षक सब घेराव केलनि आ कहलनि जे, पिछला 6 महीना स बिहारक नियोजित शिक्षक के वेतन नहि भेटल अछि। जकरा करने शिक्षक भूखमरीक कगार पर पहुंच गेल अछि।

    शिक्षा मंत्री कहलनि जे, पिछला 15 सालक ई व्यवस्था खराब अछि आ 6 महिना मे ठीक नहि कायल जा सकैय। उम्हर नियोजति शिक्षक विनोद कुमारक कहब छन्हि जे, पिछला 6 महिना स वेतन नहि भेटल अछि जाहि करने स्थिति ख़राब बनल अछि। सूत्रक अनुसार नियोजित शिक्षक मंत्री के समक्ष एक समान वेतनमान देबाक गुहार लगौलनि मुदा शिक्षा मंत्री हुनकर मांग के खारिज कय देलनि।