मुजफ्फरपुर मे व्यवसायी के घर सं लाखो के डकैती

    0
    266

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिलाक तुर्की पुलिस चौकी क्षेत्र मे सोमदिन देर राति डकैत सब एकटा व्यवसायी के घर सं लाखो रुपैयाक संपत्ति लूटि लेलक। पुलिस सूत्रक अनुसार कुढऩी प्रखंडक कोदरिया गाम निवासी व्यवसायी बृज मोहन साह के घर मे करीब 20 के संख्या मे डकैत छत के रस्ते प्रवेश केने छल।

    डकैत घरक सब सदस्य के हथियारक भय देखा कय बंधक बना लेलक आ जेवरात समेत कीमती सामान लूटि लेलक। सूत्रक अनुसार डकैत व्यवसायी के घर सं करीब छह लाख रुपैयाक संपत्ति लूटलक अछि। अहि सिलसिला मे अज्ञात डकैत के खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। पुलिस डकैत के गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कय रहल अछि।