जँ नवादासँ टिकट नै भेटत त’ ल’ लेब सन्यास : गिरिराज सिंह

0
582

पटना, मिथिला मिरर :  बिहार बीजेपीक फायरब्रांड नेता आ सांसद गिरिराज सिंह राजनीतिमे कोनो नामक मोहताज नै छथि। राजनीतिक प्रतिक्रिया देबयमे माहिर गिरिराज सिंहक बयान मीडियाकेँ सुर्खी बनैत रहैत अछि। कखनो काल त’ किछु बेसिये उत्साहित भ’ पार्टी लाइनसँ इतर बयान द’ दैत छथि जाहि कारण पार्टी सेहो असहज भ’ जाइत अछि। चुनावी मौसम शुरू भ’ गेल अछि, एहनमे पार्टीक संग प्रेशर पॉलिटिक्स सेहो शुरू भ’ जाइत अछि। ओना कहल जाइत छैक जे जँ अहाँ सक्रिय राजनीतिमे बनल रहय चाहैत छी त’ सुर्खीमे रहब सेहो जरूरी होइत छैक। किछु एहने सन राजनीतिक वयान देलाह अछि गिरिराज सिंह। नवादासँ सांसद आ केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह अपने पार्टीमे प्रेसर पॉलिटिक्स करैत कहलनि अछि जँ पार्टी हुनका एहिबेर नवादासँ टिकट नै देत त’ ओ राजनीतिसँ संन्यास ल’ लेताह। एहि बयानसँ एहन बुझना जाइत अछि जे गिरिराज सिंह कोनो आन ठामसँ लोकसभा चुनाव लड़बाक लेल तैयार नै छथि।

जानकारीकेँ मुताबिक गिरिराज सिंहकेँ नवादासँ टिकट कटब पक्का छनि। बताओल जा रहल अछि जे एहि सीट पर एनडीएक सहयोगी लोजपा दावा क’ रहल अछि। किएक त’ मुंगेर जदयूकेँ खातामे जायत, एहन अनुमान लगाओल जा रहल अछि, शायद एहि बातक डर गिरिराजकेँ भ’ रहल छनि। हालाँकि पार्टी सूत्र पर विश्वास करी त’ नवादाकेँ बदला गिरिराज सिंहके दोसर जगहसँ टिकट देल जा सकैत अछि। मुदा दोसर ठामसँ हारिक डर बनल रहत। बतादी जे कतेको बेर हुनकर संसदीय क्षेत्रक लोकसभ गिरिराजकेँ लापता होयबाक पोस्टर लगेने छल तकरा बाद गिरिराज सिंग ओतय एक्टिव भेलाह। ओ पछिला किछु माससँ चुनावकेँ तैयारीमे जुटल छथि। मुदा सीट बंटवारामे हुनका लागी रहल छनि जे हुनक टिकट एहिबेर नवादासँ काटी देल जायत। एहि कारण आब ओ पहिनेसँ प्रेशर पॉलिटिक्स करय लगलाह अछि। चुटकी लैबयमे माहिर गिरिराज सिंह पत्रकार पर भेल हमला पर अपन प्रतिक्रिया दैत कहलाह जे नीतीश बाबूकेँ सुसाशन बाबू कहल जाइत छनि तहन राज्यमे कानून व्यवस्थाक हाल की अछि से सभ जनैत छी। एहि मामला पर मुख्यमंत्रीकेँ स्वयं संज्ञान लेबाक चाही। मीसा भारतीक बयान पर तंज कसैत कहला जे राजनीतिमे हिंसाक कोनो जगह नै छैक। लालू यादवकेँ ट्वीट पर गिरिराज कहलाह जे जखन धरि सांस चलैत छैक लोक ओकरा मुर्दा नै समझेइ छैक। राम मंदिर मुद्दा पर अपन विचार देलाह जे जँ लोकसभ संसद-अदालत देखनाई छोड़ी देत त’ राम मंदिर बनि जाओत।