माँ’के पागल कहि जंजीर मे बन्हलक बेटा, बेटी करौलनि मुक्त

    0
    262

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: पृथ्वी पर साक्षात् भगवतीक अवतार कहाय वाली माँ एकटा एहेन शब्द जाहि के स्मरण मात्र स मोनक भय-दोष कोशो धरि दूर भागि जाईत अछि, आ जहन बात हो दुनियाक सब स पवित्र माँ-बेटाक रिश्ता के त ओहि आगू शंकर के सेहो झुकय पड़ल रहनि। मुदा अहि कलयुग मे माँ आ मानवताक कोनो मोल नहि। आय डेग-डेग पर बेटा द्वारा माँ शब्दक नव परिभाषा लिखल जाईत अछि।

    एकटा एहने घटना प्रकाश मे आयल अछि। मानवता के झकझोरि कय माँ-बेटाक रिश्ता के तार-तार करय बला ई घटना बेगूसराय जिलाक मंसूरचक प्रखंड मे बेटा स प्रताड़ित मांक अछि। जकर तस्वीर सोशल मीडिया मे चर्चाक विषय बनल अछि। मंसूरचक के गोविंदपुर-2 पंचायतक भवानीपुर गांव मे एकटा बेटा अप्पन माँ के विक्षिप्त बता कय जंजीर मे बान्हि एकटा घर मे बंद कय देलक। अहि कलयुगी पुत्रक नाम वकील साह बताओल जा रहल अछि। बेटाक अहि घिनौना कुकृत्य स मजबूर ओकर वृद्ध मां ओहि घर मे अप्पन नित्यक्रिया करबाक लेल मजबूर छथि, मुदा तैयो निर्दयी के निर्दयता कम नै भेल।

    जहन गामक लोक के अहि बातक भनक लागल त कियो अहि तस्वीर के सोशल मीडिया पर दय घटना के उजागर कयलनि। अहि क्रम मे बृद्धाक बेटी लक्ष्मी देवी आ ललिता देवी जहन सासुर स घर पहुंचली त अप्पन बृद्ध माँक दुर्दशा देखि कय गामक लोक स शिकायत केलीह आ बृद्धा के जंजीर स मुक्त करौली। अहि मामला मे गामक लोक बाद मे वकील साह के फटकार लगबैत बृद्धा के सकुशल रखबाक लेल एकरारनामा बनबौलनि।