आय ‘अछिञ्जलक’ दू गोट कार्यक्रमक आयोजन

    0
    295

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्लीक गोल मार्केटक निकट मुक्तधारा सभागार मे आय बुधदिन ‘अछिञ्जल’ द्वारा दू गोट मैथिली कार्यक्रम आयोजित कायल जा रहल अछि। जाहि मे पहिल कार्यक्रम पारंपरिक किर्तन शैली मे ‘डाक वचन’ 5:30 बजे आयोजित कायल जायत तथा दोसर 6:30 बजे मैथिली नाटक ‘गोरखधंधा’ के मंचन कायल जायत।

    पहिल कार्यक्रम डाक वचन के अप्पन आवाज दय रहल छथि अजीत झा तथा संगीत स सजा रहल छथि मिथिलाक विख्यात गायक तथा संगीतकार सुनील पवन। मैथिली नाटक गोरखधंधा के लेखक काश्यप कमल छथि तथा निर्देशन कय रहलाह अभिषेक देवनारायण। नाटक के संगीत स सजा रहल छथि सुनील पवन तथा सह निर्देशक के भार प्रवीण झा उठेने छथि।