मिश्रा के शानदार गेंदबाजी के बदौलत भारत केलक एकदिवसीय सीरीज पर कब्ज़ा

    0
    302
    अमित मिश्रा (18-5) के नेतृत्व मे अप्पन गेंदबाजी के उम्दा प्रदर्शन के दम पर भारत पांचम आ अंतिम एकदिवसीय मैच मे न्यूजीलैंड के 190 रन सं हराकय सीरीज 3-2 सं अपना नाम कय लेलक। एसीए-वीडीसीए स्टेडियम मे भारत टॉस जीतकय पहिने बल्लेबाजी करैत रोहित शर्मा (70) आ विराट कोहली (65) के उम्दा अर्धशतकीय पारी के मददि सं न्यूजीलैंड के सामने 270 रनक लक्ष्य रखलक। जवाब मे मेहमान टीम 23.1 ओवर मे सब विकेट गंवाकय 79 रन बना सकल।

    ई भारत के खिलाफ मेहमान टीमक न्यूनतम एकदिवसीय स्कोर अछि। अहि सं पहिने न्यूनतम योग 103 रन रहल छल। मिश्रा के अलावा अप्पन पहिल एकदिवसीय मैच खेल रहल जयंत यादव, जसप्रीत बुमराह आ उमेश यादव एक-एक सफलता हासिल केलनि। जहन कि अक्षर पटेल के दू टा विकेट भेटलनि।  मैंन ऑफ़ दी मैच आ मैन ऑफ दी सीरीज अमित मिश्रा के भेटलनि।