भारत एशियन चैम्पियंस ट्रॉफी के फाइनल मे, फ़ाइनल मुकाबला पाकिस्तान के संग रविदिन

    0
    308
    निर्धारित समय के खेल 2-2 सं बराबर रहला के बाद परिणामक लेल मैच पेनाल्टी शूटआउट मे गेल। पेनाल्टी शूटआउट मे दुनु टीम अप्पन शुरुआती 3-3 प्रयास मे सफल रहल। श्रीजेश दक्षिण कोरिया के चारिम प्रयास के विफल त कय देलनि, मुदा गलत टैकल के कारण कोरिया के पेनाल्टी स्ट्रोक भेटल।
    दक्षिण कोरिया पेनाल्टी स्ट्रोक पर गोल कय फर सं स्कोर 4-4 सं बराबर कय देलक। भारत के सेहो पांचव प्रयास मे गलत टैकल के कारण पेनाल्टी स्ट्रोक भेटल आ भारतीय टीम 5-4 सं बढ़त बना लेलक। एकरा बाद भारतीय गोलकीपर कोरिया के पांचम प्रयास के विफल करैत जीत दर्ज के फ़ाइनल मे प्रवेश केलक।