गुप्त सूचनाक आधार पर मधुबनी मे मोबाइल चोर गिरफ्तार

    0
    284

    मधुबनी, मिथिला मिरर: नगर थानाक पुलिस एक माह पूर्व भेल एकटा मोबाईल दोकान मे चोरीक घटना के उदभेदन करैत दू टा शातिर चोर के गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार चोरक निशानदेही पर पुलिस एकटा पुरान खंडहरनुमा मकान सं चोरीक 43 गोट मोबाईल फोन सेहो बरामद केलक अछि।

    सदर एसडीपीओ कुमार इंदिरा प्रकाश के अनुसार 20 अक्टूबर क शहरक बड़ा बाजार के एकटा मोबाईल दोकानक देवाल तोड़ीकय लाखो रुपैयाक मोबाईल आ नगदीक चोरी भेल छल। ओहि मामला मे गुप्त सूचनाक आधार पर पुलिस छापेमारी कय बड़ा बाजार निवासी पवन पांडेय आ ललन पूर्वे के गिरफ्तार केलक अछि।

    ओ कहलनि जे, दूनू शातिर चोर अछि आ पूर्व मे सेहो बहुतो चोरीक घटना के अंजाम दय चुकल अछि। बरामद मोबाईल फोनक कीमत करीब 4.5 लाख बताओल जा रहल अछि। नगर थानाक अहि सफलता मे थानाध्यक्ष अरुण कुमार राय, एसआई मनोज कुमार, धीरज कुमार, रणजीत कुमार, के अलावा पैंथर मोबाईल टीमक अहम योगदान अछि। एसडीपीओ कहलनि जे, सब के पुरस्कृत कायल जायत।