एलएनएमयू के दू गोट डिग्री महाविद्यालय पर दर्ज होयत मुकदमा : कुलपति

    0
    262

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा संबंधन रद्द भय चुकल काजी अहमद डिग्री महाविद्यालय जाले, दरभंगा तथा राम लखण सिंह रामू स्वरूप मंडल डिग्री महाविद्यालय शिवाजीनगर, समस्तीपुर के विरूद्ध प्राथमिकी दर्ज करेबाक तैयारी शुरू कय देलनि। कुलपति के कहब छन्हि जे, अहि दूनू कॉलेज के चलते विश्वविद्यलय के छात्रक भविष्य प्रभावित भेल अछि आ अहि के चलते दस दिन तक परीक्षाक तिथि बढ़ि गेल, जाहि सं सेशन लेट भय सकैत अछि।

    ऑन राज्यादेश के अनुरूप दूनू महाविद्यालय मे नामित छात्रक परीक्षा लेबाक निर्णय परीक्षा परिषद्क बैसक मे लेल गेल अछि, मुदा ई छात्र अहि महाविद्यालय के छात्र नहि रहताह। जाहि दोसर कॉलेज स ई परीक्षा देताह ई ओहि कॉलेजक छात्र मानल जेताह।

    कुलपति कहलनि जे, जल्दिये प्राथमिकी दर्ज करोल जायत। कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहाक अध्यक्षता मे बैसक भेल। जाहि मे प्रतिकुलपति प्रो. सैयद मुमताजुद्दीन, छात्र संकायाध्यक्ष डा0 भोला चौरसिया, डा. एच.के. सिंह, डा. आई. एन. मिश्र, डा0 रामचन्द्र ठाकुकर, डा0 कुलानन्द यादव, डा0 मोहित ठाकुर आदि उपस्थित छलाह।