मुजफ्फरपुरमे मतदाताकें रुपैया बांटैट गिरफ्तार कएल गेल पूर्व उपमेयर

    0
    348

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारमे नगर निकाय चुनावक लेल मतदानक दौर जारी अछि। अहि क्रममे मुजफ्फरपुरमे नगर निगम चुनावक दौरान मतदाताकें रुपैया बंटबाक आरोपमे पूर्व उप मेयर आ वार्ड नंबर 23कें प्रत्याशी निशारूद्दीन उर्फ छोटेकें गिरफ्तार कएल गेल।

    टाउन डीएसपीके नेतृत्वमे पूर्व उप मेयरकें कर्बला क्षेत्र सं गिरफ्तार कएल गेल अछि। गिरफ्तारीके दौरान निशारुद्दीनके संग सं पुलिसकें आठ हजार रुपैया भेटल अछि।

    जानकारीके अनुसार पिछला चुनावमे सेहो फर्जी वोटर कार्ड बांटबाक आरोपमे छोटेकें गिरफ्तारी कएल गेल छल। गिरफ्तार प्रत्याशीकें एकटा समर्थकके संग नगर थानामे राखल गेल अछि।