अमलाटोलीमे टेंट सेंटर’क गोदाममे आगि लगला सं लाखोक क्षति

    0
    266

    मधुबनी, मिथिला मिरर: अमलाटोली स्थित राजू-बब्लू टेंट सेंटरकें गोदाममे रविदिन दुफारमे अचानक आगि लगला सं गोदाममे राखल सब सामान जरिकय खाक भए गेल। सूत्रक अनुसार आलोक कुमार श्रीवास्तव उ़र्फ बब्लू श्रीवास्तव ‘राजू-बब्लू टेंट सेंटरके’ मालिक अपन अमलाटोली स्थित घरक बगलेमे टेंट सेंटरक गोदाम बनेने छल। ओहि गोदाममे रविदिन दुपहर अचानक लागल आगि सं गोदाममे राखल पंडाल निर्माणक कपड़ा, कुर्सी, बर्तन, चूल्हा, पंखा तथा टेंट संबंधी सब सामान जरि गेल।

    घटनाक सूचना पर थानाध्यक्ष संजय कुमार, अनी विद्याभूषण सिंह, रामाशीष यादव, सत्येन्द्र सिंह, रिजर्व पुलिस बल, चौकीदारक संग अग्निशामक वाहनक संग घटना स्थल पर पहुंचलाह। एम्हर घटनाक सूचना पर एसएसबी 35’म वाहिनीक सेनानायक परीक्षित बेहरा, उप सेनानायक धीरज पठानिया, इन्स्पेक्टर राजकुमार पाण्डेय, सब इन्स्पेक्टर सुनील कुमार सिंह, रवि कुमार सहित 80 जवान आगि मिझएबाक लेल घटना स्थल पर पहुंचल।

    आगि मिझेबामे ग्रामीणक अथक प्रयास सं आगि पर काबू पाओल गेल। घटनाक बाबत आलोक कुमार श्रीवास्तव उ़र्फ बब्लू श्रीवास्तव कहलनि आगि कोना लागल से नहि जानि। अहिमे लाखोक संपत्तिकें नुकसान हेबाक संभावना अछि।