पप्पू यादव के विवादित बयान, हम नहि गाबि सकैत छी राष्ट्रगान…

    0
    475

     पटना, मिथिला मिरर: जन अधिकार पार्टीक अध्यक्ष तथा मधेपुरा सं सांसद पप्पू यादव एक बेर फेर विवादित बयान दय क सुर्खी मे छथि। हाजीपुर सं सटल चकमकरण गाम मे एकटा सांस्कृतिक कार्यक्रम के दौरान पप्पू यादव कहलनि जे, हम आई धरि ‘राष्ट्रगान नहि गेलहु, आ ने गायब। अहि पर संविधान सेहो हमर किछु नहि कय सकैत अछि।

    अहि के पाछु कारण बताबैत सांसद पप्पू यादव कहलनि जे, ‘जन गण मन अधिनायक जय हे, भारत भाग्य विधाता’ ई जॉर्ज पंचम के खुश करबाक लेल गायल गेल छल। कोनो दोसर व्यक्ति हमर देशक भाग्य विधाता कोना भय सकैत अछि, हम अहि गान के नहि गाबि सकैत छी।