दरभंगा मे हत्या आ चोरीक योजना बना रहल चारि गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    534

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक रामबाग स्थित कंकाली मंदिर सं पुजारीक हत्या कय मूर्ति आ मुकुट चोरेबाक तथा दोनार पेट्रोल पंप के लुटबा सहित एनएच 57 पर स्कोर्पियो’क चोरीक योजना बना रहल  चारि गोट शातिर अपराधी के एक टा पिस्तौल आ 7 गोट जिन्दा कारतूसक संग दरभंगा पुलिस गिरफ्तार केलक अछि।

    चारु अपराधी मूर्ति के चोरा कय मोतिहारी मे बेचबाक योजना बना चुकल छल। अहि मे मधुबनीक रहनिहार संजय कुमार मुख्य आरोपी अछि। अहि सं पहिने सेहो ई एनएच पर गाड़ी चोरी करैत छल संगहि जेल सेहो जा चुकल छल। ई जानकारी एएसपी दिलनवाज अहमद सोमदिन लहेरियासराय थाना मे प्रेस वार्ताक माध्यम सं देलनि।