दिल्लीक राजेन्द्र भवनमे मिथिला स्टूडेंट यूनियन मनौलक अपन दोसर स्थापना दिवस

    0
    319

    दिल्ली,मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइः राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीकेँ आईटीओ स्थित राजेन्द्र भवनमे रविदनि 26 मार्च 2017 कऽ मिथिला स्टूडेंट यूनियन अपन दोसर स्थाना दिवस मनौलक। कार्यक्रमक विधिवत शुरूआत स्नेहा झा द्वारा जय-जय भैरवि गाबि भेल। एकरा बाद धीरज मिश्र उपस्थित पाहुन लोकनिक स्वागतमे स्वागत गान मंगलमय दिन आजु हे गाबि सबहक मन मोहि लेलनि। अतिथि लोकनि दीप प्रज्जवलन केलनि जकरा बाद कार्यक्रमक शुरूआतमे मंच संचालनक जिम्मेदारी सागर नवदिया आ बादमे रौशन चौधरीक छलनि। तहिना मंच पर अतिथिक रूपमे अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चंद्र झा, चिकित्सिका आभा झा, अधिवक्ता कमलेश मिश्र, न्यूज आॅफ बिहारक संपादक पंकज प्रसून आ गायक सह अभिनेता विकास झा छलथि।
    संस्थाक पूर्व अध्यक्ष अनूप चौधरी (अनूप मैथिल) अपन वक्तव्यमे संस्थामे योगदान देनिहार सेनानीकेँ विषयमे चर्च करैत जमीनी स्तर पर कोन तरहक संघर्ष क’ रहल छैक अहि विषय पर अपन बात रखलनि। चिकित्सिका आभा झा मिथिलाक महिलाक स्थिति, योगदान आ हुनक स्वास्थ्य पर अपन विचार रखलैथ। मिसु सेनानी विद्याभूषण राय कार्य संगठनक विस्तार आदि विषय पर अपन बातसँ उपस्थित लोककेँ अवगत करौलनि,जेकरा बाद पूर्व अध्यक्ष कमलेश मिश्र संस्थाक आगामी गतिविधिक विषयमे अपन बात रखलनि। एकरा बाद किछु कालक लेल मंच सांस्कृतिक रहल जाहिमे विकास झा कम समयमे मिथिला-मैथिलीसँ जुड़ल एक सं बढ़िकऽ एक गीत गाबि सबके आनंदित कऽ देलाह।
    एकरा बाद विजय चंद्र झा द्वारा मिथिला स्टूडेंट यूनियनक आग्रह पर संस्थाक दुर्बल पक्ष सहित कमजोर मिथिला आंदोलनक विषय पर बात रखलनि। संगहि मिथिला संघक अध्यक्ष द्वारा एमएसयूकेँ बेसी सँ बेसी योगदान देवाक बात मंच सँ कहला। हालाँकि अहिकेँ बाद मिथिला स्टूडेंट यूनियनक राष्ट्रीय अध्यक्ष द्वारा उठाओल गेल डेग उपस्थित लोककेँ कने जरूर खटकलनि मुदा एकर चर्च अहि ठाम नहि करवाक आग्रह स्वयं विजय चंद्र झा मिथिला मिररक संपादक सँ करैत ई कहला जे यूनियनक काजकेँ बेसी सँ बेसी प्रशंसा कैल जाए।
    एकरा बाद मंच सांस्कृतिक रहल आ मंचक संचालन राधे भाई केर देल गेलनि। जेकरा बाद राधे मिथिला-मैथिलीक स्थिति आ बिहार सरकार सँ मिथिलाक उपेक्षाक बात रखैत कार्यक्रमकेँ आगू बढ़ेला। तकरा बाद जूली झा अपन दमदार गायकी सँ दर्शक दीर्घाकेँ झूमा देलीह। आजु नाथ एक व्रत आ मिथिला वर्णन जगमे जतय सबसँ पहिने उगै सुरूज देव गाबि सुंदर सन सांस्कृतिक वातावरण बनौलनि। गीत-संगीतकेँ सुरगर बनेवाक जिम्मेदारी किशोर एंड ग्रुपकेँ छलनि। अंतमे धन्यवाद ज्ञापनक बाद अहि कार्यक्रमक विधिवत समापन कैल गेल।