दरभंगा अग्निकांडक पीड़ित परिवार सँ भेंट कैलनि पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी

    0
    289

    दिल्ली,मिथिल मिरर-निशांत कुमार झाः भारतीय जनता पार्टीक वरिष्ठ नेता आ बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी अपन दरभंगा दौराक क्रममे दरभंगामे भेल पट्रोल कांडमे मृतक मनोज चौधरीक परिजन सँ भेंट कैलनि। सुशील मोदी मृतक मनोज गाम कबिलपुर जा पीड़ित परिवार सँ भेंट केलाक आ पीड़ित परिवारकेँ अहि विपत्तिकेँ घड़ीमे अपनाकेँ मजगुत करवाक लेल हौसला बढ़ौलनि।
    पूर्व उपमुख्यमंत्री कहला जे हम अपना जीवनमे एहन तरहक घटना नहि त सुनने रही आ नहि देखने रही। दरभंगामे जे घटना भेल छल ओ मानवाता मारवाक षड्यंत्र कहल जा सकैत अछि। सुशील मोदी कहला जे दरभंगाक घटनाकेँ पार्टी बिहारक विधानसभा आ विधान परिषद दुनू ठाम उठा चुकल अछि आ हम पटना पहुंच स्वयं बिहारक पुलिस महानिदेशक सँ बातचती कऽ दोषीकेँ सख्त सँ सख्त सजा दियेवाक लेल पहल करब।
    बिहारक कानून व्यवस्था पर प्रश्न चिह्न ठाढ़ करैत मोदी कहला जे बिहारमे एक बेर फेर सँ अपराध अपन पैर पसाइर चुकल अछि आ अपराधी बेलगाम अपराधकेँ अंजाम देवाक लेल तैयार रहैत अछि। बिहारमे आब अभियंता सँ लऽ निर्माधीण कंपनी सब सेहो असहज महसूस कऽ रहल अछि।