सीतामढ़ी मे मनमानी के विरुद्ध प्रशिक्षु शिक्षक देलक धरना

    0
    251

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: महात्मा बुद्ध शिक्षक प्रशिक्षण महाविद्यालय प्रबंधनक मनमानी के विरुद्ध मंगलदिन जिला प्रशिक्षु शिक्षक संघ के बैनर तर प्रशिक्षु शिक्षक धरना देलक। महाविद्यालय प्रांगन मे संयोजक नवीन कुमारक अध्यक्षता मे आयोजित धरना के संबोधित करैत वक्ता सब कहलनि जे, कॉलेज प्रबंधन द्वारा फ़ीस वसूली मे मनमानी कायल जा रहल अछि। दू वर्षीय बीएड पाठ्यक्रम लागू हेबाक बाद विश्वविद्यालय द्वारा कॉलेज के 1.35 लाख रुपैया फीस लेबाक निर्देश देल गेल छल। बाद मे राजभवन द्वारा 95 हजार फीस कायल गेल छल। बाद मे कॉलेज प्रबंधन द्वरा उच्च न्यायालय गेला पर संशोधन करैत फ़ीस 1 लाख निर्धारित कायल गेल छल।

    एकर बावजूद कॉलेज प्रबंधन 1.35 लाख रुपैयाक मांग कय रहल अछि। वक्ता सब कहलनि जे, उच्चतम न्यायालय के जे फैसला आओत से मान्य होयत। मुदा एखन तक जे आदेश अछि ओहि के अनुरूप फीस लेबाक चाही। अहि अवसर पर कॉलेज प्रबंधन के विरुद्ध जमिकय नारेबाजी कायल गेल। वक्ता मे चंद्रशेखर कुमार, नीतीश कुमार, राम विनोद राम, प्रभु कुमार, नमित कुमार, मोहन साह, सुरेन्द्र कुमार, घनश्याम कुमार, प्रेमु कुमार, किशन कुमार, रविचंद्र, रत्नेश कुमार, रश्मिप्रिया, शालिनी कुमारी, रुपा नूतन, अर्चना आदि शामिल छल।