समस्तीपुर मे आइसा-इनौस के छात्र केलक समाहरणालय पर प्रदर्शन

    0
    428

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: आइसा-इनौस के बैनर तर मंगलदिन छात्र-नौजवान जुलूस निकालि कय समाहरणालय मुख्य द्वार पर पहुंच कय प्रदर्शन केलक। आक्रोशित छात्र सब समाहरणालय परिसर मे डीएम व एसपी के नहि रहला पर गेट के तोड़नाई शुरू कय देलक। ड्यूटी पर तैनात जवान सं सेहो नोक-झोंक केलक।

    प्रतिनिधिमंडल के वार्ताक लेल बजाओल गेल। जकरा बाद एकटा बैसक भेल जकर अध्यक्षता इनौस जिलाध्यक्ष सुरेंद्र प्रसाद केलनि। अहि मे वैशाली के अंबेदकर आवासीय विद्यालय के महादलित छात्रा डीका कुमारीक हत्या एवं बलात्कार के आरोपी के सजा देबाक, पीड़िता के नौकरी तथा 20 लाख रुपैया मुआवजा देबाक, जेएनयू स गायब छात्र नजीबक वापसि, एससी-एसटी एवं ओबीसी के बंद छात्रवृत्ति पुन: चालू कराबय सहित विभिन्न मागक समर्थन मे नारेबाजी कायल गेल।