सीतामढ़ी मे कारी पट्टी बान्हि कय विरोध जतेलनि चिकित्सक

    0
    294

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: देश भरि मे चिकित्सक पर आये दिन भय रहल हमला आ मारिपीट करबाक विरोध मे मंगलदिन जिला भरि मे चिकित्सक काला बिल्ला लगाकय विरोध जतेलक। सीतामढ़ी मे सदर अस्पताल सहित सब निजी नर्सिंग होम के चिकित्सक पूरा दिन काला बिल्ला लगाकय ड्यूटी केलक।

    चिकित्सक कहलक जे, इलाहाबाद मे चिकित्सकक हत्या कय देल गेल। गया जिला मे चिकित्सक सं रंगदारीक मांग कायल गेल। पुणे मे चिकित्सक के बिना कारने गिरफ्तार कायल गेल। नामी चिकित्सक के तरह-तरह के धमकी देल जा रहल अछि। अहि के लेल चिकित्सक संगठन इंडियन मेडिकल एसोसिएशन व भासा केंद्र तथा राज्य सरकार स चिकित्सकक सुरक्षा सुनिश्चित करैत अपराधी पर नकेल कसबाक लेल क्रिमिनल एक्ट स अलग कानून बनेबाक मांग केलक अछि।

    चिकित्सक कहलनि जे, एक सप्ताह के भीतर सरकार मांग के नहि मानैत अछि त अगिला मंगलदिन सं पूरा देश मे चिकित्सकक चरणबद्ध आंदोलन शुरू होयत।