समस्तीपुरमे ट्रेन सं कटिकए तीन गोट युवकक मौत

    0
    308
    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुरमे तेज गति सं आबि रहल ट्रेनक चपेटमे एला सं तीन गोट युवकक मौत भए गेल। तीनू युवक इयरफोन सं गीत सुनैत रेल ट्रैक पार कए रहल छल आ ट्रेनक चपेटमे आबि गेल। समस्तीपुर-हसनपुर रेल खंडक नयानगर स्टेशनके गुमटी संख्या 49/C के समीप तीन युवक ट्रेनक चपेटमे आबि गेल। जाहिमे दू गोटेक मौत घटना स्थले पर भए गेल। जहन कि, एकटा युवकक इलाजके दौरान मौत भए गेल।
    तीनू युवकक उम्र लगभग 25 वर्ष बताओल जा रहल अछि। सूत्रक अनुसार तीनू युवक कानमे ईयर फोन लगाकय ट्रैक पार कय रहल छल ओहि समय ट्रेनक चपेटमे आबि कए अपन जान सं हाथ धो बैसल। गुमटी संख्या 49/C के समीप भोरे तीव्र गति सं आबि रहल ट्रेनक चपेटमे तीनू युवक आबि गेल। ट्रेनक गुजरलाक बाद स्थानीय लोक खून सँ सानल रेल ट्रैक देखलक।