मंदिरक जमीन पर घर बनेबाक विरोध मे ग्रामीणक सड़क जाम

    0
    271

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के झंझारपुर अनुमंडल केर रुद्रपुर थाना अन्तर्गत नवनगर गाम मे बृहस्पति दिन ग्रामीण सड़क जाम कय उग्र प्रदर्शन केलनि। ई जाम महादेव मन्दिर के समीप जमीन अतिक्रमित कय मकान निर्माणक विरोध मे कायल गेल। ग्रामीण बेर-बेर स्थानीय पुलिस पर सूचना देबाक बादो निर्माण कार्य नहि रोकबाक आरोप लगेलक अछि।

    सड़क जाम के कारण करीब ढाई घंटा धरि सड़क यातायात बाधित रहल। ग्रामीण कहलनि जे, जाहि जगह पर मकान निर्माण कायल जा रहल अछि ओहि मे किछु भाग मन्दिरक जमीन अछि। अहि बातक शिकायत लिखित रुप सं सीओ तथा स्थानीय थाना के कायल गेल छल। बृहस्पति दिन पुनः मकानक निर्माण शुरु कायल गेल, जाहि पर ग्रामीण सड़क जाम कय विरोध शुरू कय देलक।

    बाद मे जाम स्थल पर झंझारपुर के एसडीओ जगदीश कुमार, डीसीएलआर उमेश कुमार भारती, पुलिस इन्सपेक्टर बी.डी सिंह सहित अंधराठाढी के सीओ तथा स्थानीय थाना पुलिस पहुँचल। जाहि के बाद ओ जमीनक मापी करेबाक आश्वासन देलनि। प्रशाशन सं आश्वासन भेटला के बाद लोक जाम हटेलनि।