भागलपुर मे बम बनेबाक दौरान विस्फोट मे एकगोट युवकक मौत

    0
    228

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर जिलाक मुजाहिदपुर थाना क्षेत्र मे बृहस्पति दिन राति बम बनेबाक दौरान भेल विस्फोट मे एक गोट युवकक मौत भय गेल। वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक मनोज कुमार कहलनि जे, हुसैनपुर गाम स्थित एकटा मकान मे बम बनेबाक दौरान अहि विस्फोटक घटना मे मोहम्मद अशरफ (18) गंभीर रुप से घायल भय जेल।

    घायल युवक के इलाजक लेल भागलपुर मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल जतय देर राति ओकर मौत भय गेल। मनोज कुमार कहलनि जे, मृतक अपराधी प्रवृत्तिक छल जे, बहुतो बेर जेल जा चुकल छल। घटना के बाद स घरक सब सदस्य फरार अछि। ओ कहलनि जे, घटनाक जांचक लेल पुलिसक विशेष टीमक गठन कायल गेल अछि।