बोखार सं अचेत बच्चाकें मुईल बुझल गेल, अंतिम संस्कार सं पहिने उठि बैसल

    0
    300

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ‘जाको राखे साइयां, मार सके न कोय..’ ई कहावत मंगलदिन बिहारक दरभंगा जिला स्थित सिमारीमे चरितार्थ भेल। दरअसल, पहिने सं बीमार चलि रहल एकटा बच्चाकें बेहोश हेबाक स्थितिमे ओकर परिजन बच्चाकेँ मृत बुझि लेलक आ अंतिम संस्कारक प्रक्रिया शुरू कए देलक। मुदा ठीक समय पर बच्चाकें जहन नहाओल गेल त ओ होशमे आबि गेल। जकरा बाद लोक सब ओकरा भगवानक चमत्कार बुझि अस्पताल लए गेल। जतय डॉक्टर ओकर इलाज शुरू केलक।