अररियाक रानीगंज मे पत्रकार बलराम विश्वास केँ अपराधी द्वारा मारल गेल गोली

0
2863

अररिया, मिथिला मिरर, दिलखुश झाः बिहार मे लगातार बेलगाम होइत अपराधी आ कमजोर पडै़त शासन व्यवस्थाक ई परिणाम मात्र थिक जे बिहार मे आब अपराधी सभक निशाना पर पत्रकार वर्ग आबि गेल अछि। पहिने मोतीहारी मे पत्रकार मनीश कुमार सिंहक अपहरण आ फेर हत्या ओहिकेँ बाद बेनीपट्टीक चर्चित बुद्धिनाथ उर्फ अविनाश झा अपहरण एवं हत्या कांडक बाद एक बेर पुनः अररिया जिलाक रानीगंज मे दैनिक सनमार्गक लेल पत्रकारिता कऽ रहल बलराम विश्वास केँ अपराधी द्वारा सरेआम गोली मारि देल गेल। घटनाक बाद गंभीर हालत मे पत्रकार बलराम केँ अररिया सदर अस्पताल मे प्राथमिक उपचार केलाक बाद पूर्णिया सदर अस्पताल पठा देल गेल मुदा बाद मे स्थितिक गंभीरता केँ देखैत बलराम केँ पूर्णियाक मैक्स अस्पताल मे रेफर कऽ देल गेलनि।
हालांकि घटनाक बाद पुलिस एक बेर फेर सऽ खानापूर्ति करबा मे जुटि गेल अछि। न्यूज 18 केर मानी तऽ एसडीपीओ पुष्कर कुमार एकरा जमीनी मामला मे उपजल विवाद कहि रहल छथि। अपने केँ बता दी जे पत्रकार अविनाश हत्याकांडक बाद ओहि घटनाकेँ सेहो बिना को अन्वेषणकेँ प्रेम प्रसंगक मामला बता पुलिस घटना सऽ लोकक ध्यान भटकेबाक पूर्ण कोशिश कऽ चुकल अछि। अपराधी द्वारा चलाओल गेल गोली पत्रकार केँ सीना सऽ प्रवेश करैत पीठक हिस्सा सऽ बाहर निकैल गेल छल, एहि सऽ ई स्पष्ट भऽ जाइत अछि जे अपराधी कोन तरहेँ निश्चिंत भऽ घटनाकेँ अंजाम दऽ रहल अछि।
घटनाक जानकारी भेटैत स्थानीय भाजपा सांसद प्रदीप कुमार सिंह मैक्स अस्पताल मे पहुंचला।

एतबे नहि जन अधिकार पार्टी (लो.) राष्ट्रीय अध्यक्ष राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव सोमदिन पहिने पीड़ित पत्रकारक परिवार सऽ भेंट कयलनि तकरा बाद अस्पताल मे जा जीवन-मृत्युक बीच संघर्ष कऽ रहल पत्रकारक हाल-चाल लेलनि। लगातार एक के बाद एक पत्रकार पर भऽ रहल घटना सुशासनी सरकारक पोल खोलि रहल अछि। एक दिस अपराधी मस्त अछि तऽ सुशासन बाबूक पुलिस एना कान मे तूर तेल दऽ सूतल अछि जेना राज्य मे राम राज्य चलि रहल हो। लोकतंत्र चारिम स्तंभक प्रहरी सभकेँ जऽ एना सरेगाम गोली खाए पड़ै तखन फेर आम जनता कोन हाल मे हैत एकर कल्पना मात्र कएल जा सकैत अछि।